अखिल भारतीय मिथिला पार्टी के प्रदेश अध्यक्ष सदरे आलम खान नहि रहला

दरभंगा। 07 मार्च। अखिल भारतीय मिथिला पार्टी के प्रदेश अध्यक्ष सदरे आलम खान के कैल्ह सोमक सांझ हृदय गति रुकला सँ असमायिक निधन भ' गेलैन्ह। हुनकर पैतृक गाम रामपूरा मे एकाएक हुनकर तबीयत बिगड़ला पर परिजन सभ हुनका दरभंगा के एक निजी अस्पताल मे ईलाज लेल भर्ती करौलन्हि, जता ईलाज केर क्रम मे हुनक निधन भ' गेलैन्ह।

दिल्ली स्थित प्रसिद्ध सारस अस्पताल के निदेशक रही चुकल सदरे आलम खान सामाजिक व राजनितिक काज मे बहुत सक्रीय लोग छलाह। हुनक असमायिक निधन के खबैर से सगर मिथिला म' शोक पसैर गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने