लगातार बिजली कटौती से लोग परेशान

मधुबनी (फुलपरास)। 20 फरवरी। विगत करीब तीन मास से बिजली आपूर्ति मे कायल जे रहल लगातार कटौती के कारण लोग परेशानी छैथ।  बिजली विभाग के अधिकारिक सूत्र से प्राप्त जानकारी केर मुताबिक चौबीस घंटा मे फिलहाल छः घंटा तक लोग सभके बिजली कटौतीक सामना करे परतैन्ह। भोर सात बजे से नौ बजे तक, दुपहर एक बजे से तीन बजे अपराह्न तक आ रात्रि मे एक बजे से तीन बजे तक ई लोड सेडिंग फिलहाल प्रभावी रहत।  

बिजली आपूर्ति मे उपभाक्ता सभक लेल कायल जे रहल कटौती के कारणक संबन्ध मे कुनु स्पष्ट जानकारी नहि भेटल अछि, मुदा एतबा जरूर बताओल गेल अछि कि उक्त संबन्ध मे शीर्ष प्रबंधन द्वारा ग्रीड क' लोड शेडिंग केर आदेश देल गेल अछि।  गहूमक पटाउन के एहि अंतिम काल मे किसान सभक लेल बिजली सप्लाई मे कटौती से परेशानी देखल जे रहल अछि। भोर सात बजे से दुइ घंटा तक बिजली केर आपूर्ति वाधित रहबाक कारण आमजन एवं गृहणि सभके घरेलू काज करबा मे सेहो बाधा भ' रहल अछि।

व्यवसायिक उपभोक्ता सभके दिन मे दुइ बेर कुल 4 घंटा तक बिजली कटौती के परेशानी अलग से झेला पैड़ रहल छैन्ह। एहि सभक अतिरिक्त आय कैल्ह दिन भरी बिजली के ऑख मिचौनी चालूवे रहैत अछि। जाहिक लेल आमजन मे बिजली विभागक प्रति स्पष्ट नाराजगी देखल जे रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ