नाबालिग कार ड्राइवर 4 लोग के मारलैन्ह ठोकर, आक्रोशित लोग सभ गाड़ी मे लगा देलैन्ह आगि

मुजफ्फरपुर। 18 फरवरी। मिठनपुरा थाना क्षेत्र के माली घाट मे एक  नाबालिग चालक 4 लोग क' ठोकर मारलैन्ह। जहिसे चारो गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि। जिनका सभके इलाजक लेल अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। ओतहि, घटना से आक्रोशित लोग सभ गाड़ी के आगिक हवाले क' देलैन्ह।

आय भोर करीब 9 बजे एक 13 साल के नाबालिग बच्चा वैगनआर गाड़ी चला के जायत छला, जाहिमे किछ स्कूली बच्चा सेहो बैसल छल। एहि  दौरान गाड़ी बेकाबू भ' बाइक सवार से जा टकरायल। बाइक पर सवार 2 बच्चा सेहो घायल बताओल जे रहल अछि। सड़क हादसा मे करीब 2 लोग गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि। जाहिमे घनश्याम दास, सोमिया, अरव आ अरमान अछि।

घटना से नाराज लोग नाबालिग चालक के पिटाई करि पुलिस के हवाले क' देलैन्ह। ऐहिक बाद गाड़ी में आगि लगा देलैन्ह। ओतहि, मौके पर पहुंच पुलिस लोग सभके समझा बुझा शांत केलैन्ह। आगा जांच कायल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ