सड़क से नीचा उतरल अनियंत्रित बस, तीन घायल

मधेपुरा। 04 जनवरी। भर्राही ओपी क्षेत्र के तुरकाही गाम मे उदाकिशुनगंज से सहरसा जे रहल बस अनियंत्रित भ' सड़क से नीचा उतैर गेल। बस मे बहुत रास यात्री सवार छल, बसक चालक केर समझदारी से बड़का दुर्धटना होयत - होयत बचल। करीब तीन यात्री गंभीर रूप से जख्मी बताओल जायत अछि। 

जख्मी यात्रि सभ के इलाज लेल निजी क्लीनिक मे भर्ती कराओल गेलन्हि। स्थानीय लोग सभ कहला कि बस चालक काफी तेज गति से बस चलाबैत छलैथ। एहि दौरान तुरकाही गाम स्थित लचका पुल लग बस अनियंत्रित भ' गेल। बस पलटला पर बड़का दुर्घटना भ' सकैत छल। मुदा बस सड़क से उतैर के सीधा नीचा खेत मे चल गेल।

बस दुर्घटनाग्रस्त होयबाक सूचना भेटते स्थानीय लोग बस यात्रि सभक मदैद लेल पहुँचलनि। बसक चालक एवं खलाशी बस छोईड़ फरार बताओल जे रहल अछि। ओतहि ग्रामीण सभक सूचना पर भर्राही ओपी प्रभारी प्रसुंजय कुमार अप्पन सहयोगी के संग घटना स्थल पर पहुंचला। ओपी प्रभारी कहला कि बस अनियंत्रित भ' सड़क से नीचा चल गेल छल।स्थानीय लोग सभक मदैद से यात्री सभ क' दोसर बस से मधेपुरा भेजल गेल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने