मुम्बई। 30 जनवरी। सेवा कर विभाग द्वारा 535 करोड़ टाकाक बकाया राशि लेल मार्च मे शराब कारोबारी विजय माल्या के किंगफिशर एयरलाइंस केर नीलामी कायल जायत। मुंबई इंटरनेशनल एयरपोर्ट पर लागल किंगफिशर एयरलाइंस के कार्पोरेट जेट एयरबस A319 के बिक्रीक लेल मुंबई मे विभाग कॉरपोरेट जेट एयरबस के नीलामी लेल वैश्विक निविदा निकालने अछि।
ई-नीलामी मे हिस्सा लेबा से करीब 24 घंटा पहिने बोली लगबै बला एयरक्राफ्ट से जुड़ल तमाम जानकारि जेना एयरक्राफ्ट केर विशेषता, एहीसे संबंधित कागजात आदि के बारे मे पूर्ण विवरण विभाग से ल' सकैछ। एहि नीलामी के दिशा निर्देश के तहत एयरक्राफ्ट केर नीलामी मे सफल होयबाक बाद एहि नीलामी प्रक्रिया सँ जुड़ल कुनु तरहक टर्म आर कंडिशन या एयरक्राफ्ट से जुड़ल कुनु मामला पर सवाल नहि उठा सकैछ।
भारतीय बोलीदाता सभक लेल EMD एडवांस पेमेंट 50 लाख टाका राखल गेल अछि। जखनकि रखी विदेशि सभक लेल ई रकम 75,000 डॉलर अछि। पिछ्ला बरख मार्च मे विभाग बांबे हाईकोर्ट मे दायर एक याचिका मे दावा केना छल कि सेवा कर मामला मे माल्या के कुल विवादित 535 करोड़ टाका रकम अछि। एहिमे इयो दावा कायल गेल छल कि माल्या विमान यात्रि सभसे सर्विस टैक्स के रूप मे बड़का रकम लेलन्हि मुदा सरकारी खजाना मे जमा नहि केलन्हि। माल्या केर कंपनी 17 बैंक से 9,000 करोड़ टाका कर्ज लेना अछि आर 2 मार्च 2016 मे देश छोईड़ पड़ायल छैथ।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।