वाहरे प्रशासन : भरल बजार मे पुलिस करौलैन्ह दोहरा हत्याकांड के आरोपी कैदी क' शॉपिंग

समस्तीपुर। 31 जनवरी। कानून क' ताक पर राखि कैल्ह सोमवार दिनक सांझ दोहरा हत्याकांड के आरोपी एक कैदी क' अंगारघाट थाना के पुलिस शॉपिग करबै मे जुटल छला।

थाना रोड स्थित यूनिक कलेक्शन मे ई दृश्य देखबाक लेल भेटल। जता सिपाही जोगेंद्र महतो आ शंभू राय कैदी भगवान बाबू क' हथकड़ी लगा  शॉपिग करा रहल छला।

बताओल जे रहल अछि कि पुलिस क' एहि आरोपी क' गिरफ्तार करबामे पंद्रह मासक समय लागल छल। आरोपी अंगारघाट थाना क्षेत्र के डढ़िया असाधर गाम मे 15 मास पूर्व जनवितरण प्रणाली संघ के अध्यक्ष अभय पांडे उर्फ ललन पांडे केर हत्या केना छल।

एहि दौरान ओता मौजूद ट्रैक्टर चालक शर्मिन्द चौधरी क' सेहो गंभीर रूप से जख्मी क' देना छल। 4 दिन बाद अस्पताल मे हुनको मौत भ' गेल छलैन्ह। भगवान बाबू एहि दुनु हत्याकांड मे आरोपी छैथ।

ओतहि एहि संबंध में समस्तीपुर के एएसपी संतोष कुमार कहला कि यदि एहि तरहक मामला जांच मे सामना आयल तें संबंधित पुलिस पदाधिकारी आर चौकीदार पर आवश्यक कार्रवाई कायल जायत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने