CISF जवान अप्पन सहयोगी पर चलौलन्हि गोली, 4 जवान केर मौत

औरंगाबाद। 12 जनवरी। औरंगाबाद मे एक सीआईएसफ (सेंट्रल इंडस्ट्रियल सिक्यॉरिटी फोर्स) के जवान आय गुरुवार दिन अपनहि सहयोगी पर अंधाधुन गोली चलौलन्हि, जाहि से 4 जवानक मौत भ' गेलन्हि। 

एखन धरी घटना के कारणक कुनु आधिकारिक टिप्पणी नहि कायल गेल अछि। ओनाकि, मीडिया रिपोर्ट केर मुताबिक, जवान छिट्टी नहि भेटबाक कारण सँ नाराज छला। तामस मे ओ अप्पन सर्विस वेपन से गोलि चलाएब शुरू क' देलन्हि। प्राप्त सूचनाक मुताबिक, ओ नबीनगर स्थित एनटीपीसी के पावर स्टेशन पर तैनात छला।

अपने के बता दी ई घटना एहेन समय घटल अछि, जखन बीएसएफ आर सीआरपीएफ केर जवानक विडियो वायरल भ' रहल अछि। विडियो मे सुविधा सभक कमी केर बात कहैत प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी से दखल देबाक मांग कायल गेल अछि। केंद्र सरकार सेहो एहि आरोप सभक लेल गंभीर अछि। सरकार मामला के जांच करबाक आदेश द' देना अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने