मिथिलाक 'आलोक वर्मा' बनता सीबीआई के नवा डायरेक्टर

मुजफ्फरपुर। 19 जनवरी। आईएएस आर आईपीएस केर गढ़ मानल जाय बला मिथिला समेत सगर बिहारक नाम एक बेर फेर सँ रौशन भेल अछि। प्राप्त सुचना केर मुताबिक सीबीआई के नवा डायरेक्टर दिल्ली पुलिस कमिश्नर आलोक वर्मा बनता। श्री वर्मा गणतंत्र दिवस के बाद अप्पन पदभार ग्रहण करता। 

अपने के बता दी कि सीबीआई के डायरेक्टर अनिल सिंहा 2 दिसम्बर क' रिटायर भ' गेला। जाहिक बादसे ई पद खाली चैल रहल छल। एखन राकेश अस्थाना ऐहिक अंतरिम निदेशक छैथ। नवा निदेशक के चुनाव लेल प्रधानमंत्री, विपक्ष के नेता मल्लिकार्जुन खड़गे आर प्रधान न्यायाधीश वाली चयन समिति क' फैसला करबाक अछि। प्राप्त सुचना केर मुताबिक 45 गोटाक नाम के लिस्ट पीएमओ भेजल गेल छल। एहिमे आलोक वर्मा, अरुणा बहुगुणा, एससी माथुर व कृष्णा चौधरी के नाम छल। लेकिन एहिसभ नाम मे आलोक वर्मा के वरिष्ठ होयबाक कारण हुनकर नाम पर मंजूरी भेटल।

आलोक वर्मा मूल रूप से बिहारक मुजफ्फरपुर के रहिवासी छैथ। आलोक वर्मा 1979 बैच के अाइपीएस अधिकारी छैथ, वर्तमान मे दिल्ली के कमीशनर छैथ आर तिहाड़ जेल मे सेहो डायरेक्टर जनरल के पद के  सुशोभित केना छैथ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने