बेगूसराय। 26 दिसम्बर। थाना क्षेत्र के कुम्हारसों पंचायत स्थित कौङा गाम के छोटी बागमती नदी कात से कैल्ह रविवार दिन क्षत-विक्षत स्थिति मे एक शव भेटल, जाहिक पहचान बखरी थाना के मौजी हरिसिंह निवासी उपेंद्र शाह के पुत्र कृष्ण मुरारी (17) केर रूप मे कायल गेल। कृष्ण मुरारी उत्क्रमित उच्च विद्यालय गुदार मे वर्ग नवम केर छात्र छलाह।
परिजन सभक मुताबिक ओ 6 दिसम्बर से लापता छलाह। एहि संबंध मे बखरी थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल। जाहिमे अपराधि सभ द्वारा 50 हजार टाका केर फिरौती मांगबाक आरोप लगाओल गेल छल। मृतक के बहनोई मिथिलेश कुमार कहला कि अगर पुलिस कनिकोटा सजग रहतीयैत तेँ शायद कृष्ण मुरारी के जान नहि देबा परतियैन्ह। शव के पता ओय समय लागल जखन स्थानीय किसान जलकुंभी हटा सिंचाई लेल पम्प सेट केर सेक्सन पाइप लगा रहल छल। कृष्ण मुरारी के गर्दैन मे रस्सी केर फंदा लागल छल। ओतहि हुनकर बाया टांग सेहो काटल छल। थानाध्यक्ष सुनील कुमार घटनास्थल पर पहुंच शव क' अप्पन कब्जा म' ल' पोस्टमाटम लेल भेज देलन्हि। इलाके के लोग पुलिस केर कार्यशैली पर सवाल उठा रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।