नीक पहलः श्राद्धक भोज केर बदला गरीब सभक शौचालय बनेबा मे मदद केलन्हि

सुपौल। 23 दिसम्बर। प्रखण्ड अंतर्गत गोठ बरुवारी पंचायत के जगतपुर गाममे स्व. भोलालाल दास केर धर्मपत्नी गायत्री देवी केर निधन पिछ्ला 10 दिसंबर क' भ' गेल छलैन्ह। गायत्री देवी प्रा.वि.बरैल से सेवा निवृत्त प्रधानाध्यापिका छलीह। हुनकर श्राद्ध कर्म संस्कार के लेल उपस्थित सामाजिक लोग सभक बीच हुनकर एकमात्र पुत्र दीपक कुमार वर्मा  घोषणा केलन्हि कि वैदिक रीति सँ श्राद्ध कर्म संपन्न करबाक पश्च्यात सामाजिक भोज मे किछ कटौती करि सरकार द्वारा संचालित स्वछ भारत मिशन केर तहत अप्पन गाम क' स्वछ रखबाक हेतु दलित- महादलित एवं अल्पसंख्यक सभ द्वारा कायल जे रहल शौचालय निर्माण मे 25 व्यक्तिय क' बाह्य उपकरण सीट, पैन, पाइप अपना दिस से मुहैया करबैन्ह। इए स्व. मां केर प्रति सच्चा श्रद्धांजलि होयत। 

एहि अवसर पर जिला अल्पसंख्यक कल्याण पदाधिकारी राहुल कुमार, जिला कार्यक्रम पदाधिकारी स्थापना अमर भूषण,  कार्यक्रम पदाधिकारी मध्याह्न भोजन योजना शिव दयाल प्रसाद, सामाजिक कार्यकर्ता गोविन्द झा, केदार नाथ सिंह मुन्ना, भाजयुमो जिला उपाध्यक्ष प्रकाश झा, नारायण चौधरी, नागेंद्र नाथ झा, करण सिंह, राजीव झा, मिथिलेश सिंह, मुंगलाल साह, लक्ष्मण मुखिया, संजीत महतो, विजय कुमार ज्योति, संतोष कुमार सादा एवं हुनकरसहयोगी उपश्थित छलाह।  

इस पुनीत काजक लेल गोठ बरुवारी पंचायत केर मुखिया श्रीमती सरिता देवी आर हुनक  पति साहेब झा धन्यवाद दैत कहलनि कि समाज के हर व्यक्ति म' यदि एहि तरहक संवेदनशीलता आर जागरूकता होयत तेँ स्वछ भारत मिशन केर तहत तीन मासक भीतर गोठ बरुवारी पंचायत शौच मुक्त भ' बिहार म' अप्पन परचम लहराओत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने