बेगूसराय। 23 दिसम्बर। गामक पोखरि - तालाब मे खेल-खेलमे हेलै बाली बेगूसराय केर बेबी कुमारी अंतरराष्ट्रीय आधुनिक पेंटाथलान संघ दिस से गोवा म' आयोजित यूनियन इंटरनेशनल डे पेंटाथलॉन मॉर्डन बैथलॉन वर्ल्ड-2016 म' गोल्ड मेडल जीत मिथिलाक संगे संग पूरा देशक नाम रोशन केलीह।
एक गरीब मुछआरा केर बेटी बेबी कुमारी गामक तालाब सँ हेलब सीख आय अंतरराष्ट्रीय स्तर पर अप्पन पहचान बनेलीह। गरीबी आर मुफलिसी केर बीच करबाक चाहत आय बेबी कुमारी के ओ पहचान देलन्हि जे बहुत कम लोग क' नसीब होयत अछि।
19 सँ 21 आयु वर्ग केर महिला श्रेणी मे भारत केर बेबी आर राजस्थान के एक युवती हिस्सा लेलन्हि, जाहिमे बेबी क' ई कामयाबी हासिल बेलन्हि। अब बेबी केर इच्छा 2018 म' होमै बला ओलंपिक मे हिस्सा लेबाक छैन्ह। बेबी केर एहि कामयाबी से नहि सिर्फ हुनक माता-पिता बल्कि पूरा गाम में खुशीक माहौल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।