
सोनपुर। 14 दिसम्बर। विश्व प्रसिद्ध हरिहर क्षेत्र सोनपुर मेला के विधिवत समापन केर घोषणा मुख्य अतिथि व सारण कर प्रमंडलीय आयुक्त नर्वदेश्वर लाल केलन्हि। विश्व प्रशिद्ध एहि मेला म' 40 लाख लोग आयल, नोटबंदी के कारण मेला बहुत प्रभावित देखल गेल। एहि अवसर पर मुख्य सचिव पर्यटन विभाग हरजोत कौर एडीआईजी सारण अजीत कुमार राय, प्रभारी जिलाधिकारी सह अपर समाहर्ता सारण अरूण कुमार, आरक्षी अधीक्षक सारण पंकज कुमार राज, स्थानीय विधायक डा रामानुज प्रसाद, अनुमंडल पदाधिकारी मदन कुमार सहित कैको आन पदाधिकारी मौजूद छलाह। उपस्थित लोग सभक स्वागत निदेशक पर्यटन विभाग उमाशंकर प्रसाद केलन्हि।
स्थानीय विधायक डॉ. रामानुज प्रसाद कहलनि कि एहि बरख नोटबंदी के कारण मेला प्रभावित भेल। सोनपुर मेला के धार्मिक सांस्कृतिक महत्व के संग - संग आर्थिक महत्व सेहो अछि । मेला केर ख्याति म' कुनु कमी नहि अछू, मुदा एहिपर ध्यान देब जरुरी छैक।
ओतहि अध्यक्षता क' रहल पर्यटन विभाग के प्रधान सचिव हरजोत कौर कहला कि 32 दिन सँ चैल रहल मेले केर समापन भ' गेल अछि। राजगीर मेला सेहो पन्द्रह दिन से घटा के तीन दिन क' देल गेल अछि। चालीस लाख सैलानी मेला म' एहि बरख पहुँचल जाहिमें 448 विदेशी सैलानी सेहो आयल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।