बच्चा सs भड़ल डीएवी स्कूल कs बस गड्ढा में पलैट गैल , सभ बच्चा सुरक्षित


क्सर। 08 दिसम्बर। बक्सर टाउन थाना क्षेत्रक बाईपास कठहिया पुल के बगल में गुरुवार के भोरे करीब साढ़े सात बजे बच्चा सs भड़ल डीएवी स्कूल के बस गड्ढा में पलैट गैल। संयोग रहल सभ बच्चा बाल बाल बचि गेल।
कहल जा रहल अछि कि आन दिनक तरह डीएवी स्कूल कs बस संख्या 18 पर सवार भ क' करीब तीस बच्चा स्कूल जा रहल छल।बाईपास के डायवर्सन सs जखाने बस स्कूल के तरफ बढ़ल पीछा सs आबि रहल ट्रक बस में धक्का मारि देलक। इ देखि बस चालक गाड़ी ठाढ़ कs ट्रक चालक सs बकझक कर लागल।बस में हैंडब्रेक नै लगल होबाक कारन सs बस खाई में पलैट गेल लेकिन सभ बच्चा बाल बाल बचि गेल। हादसा के बाद आसपास के लोगक' भीड़ जमा भ गेल। कपड़ा गंदा होबाक कारन स्कूल  पहुचल अभिभावक के साथ बच्चा के घर भेज देल गेल। सभ बच्चा घटना के बाद भयभीत छल। मौका पर पहुच पुलिस बस के निकलवा रहल छल

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने