बैंक ऑफ बड़ोदा केर शाखा मे लूटपाट, विरोध केला पर एक केर हत्या

समस्तीपुर। 27 दिसम्बर। आय भोर अपराधि सभ बैंक लुटबाक बड़का वारदात क' अंजाम देलन्हि अछि। एहि दौरान विरोध केला पर एक व्यक्ति केर गोली मारी हत्या क' देल गेलन्हि। घटना से इलाका मे सनसनी पसरल अछि। पुलिस अपराधी सभक खोज मे लागल अछि, लेकिन पुलिस के एखन धरी कुनु सुराग नहि भेटल छैन्ह। 

जानकारी केर मुताबिक़ समस्तीपुर के दलसिंहसराय स्थित असीनचक गामक बैंक ऑफ बड़ोदा शाखा मे आय भोर खिड़की तोईड़ अपराधी घुसल छल। एहि दौरान लगे मे सुतल एक दोकानदार केर नींद खुजलन्हि। ओ जहिना बैंक लग पहुंचला अपराधी सभक नजर हुनका पर पड़लैन्ह।

बताओल जे रहल अछि कि दोकानदार द्वारा हल्ला करबाक आशंका क' देखैत अपराधी सभ हुनका गोली मैर देलन्हि। ओहिक बाद लूटपाट के अंजाम द' परा गेला। घटना केर जानकारी भेटला पर पुलिस पूरा इलाका के  नाकाबंदी क' देलन्हि अछि, लेकिन एखन धरी अपराधी सभक कुनु सुराग नहि भेटल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ