
पूर्णिया। 27 दिसम्बर। खाद्य आर उपभोक्ता संरक्षण विभाग केर निदेश व अपात्रता केर शर्त संबंधी जारी अधिसूचना केर आलोक मे एसइसीसी डाटा केर सत्यापनक बाद अपात्र लाभुक सभक पहचान करि अयोग्य लाभुक केर राशन कार्ड रद्द करबाक लेल प्रखंड विकास पदाधिकारी बैसा द्वारा लाभुक सभ के निर्गत नोटिस पर कैल्ह सोमवार दिन प्रखंड के पांच पंचायत के हजारों लाभुक सभ प्रखंड परिसर मे खूब बबाल केलन्हि आर जांच टीम के कामकाजक खिलाफ नारेबाजी नाराबाजी केलन्हि।
ग्रामीण सभक आरोप अछि कि कखन, कते आर कुन प्रकारेजांच कराओल गेल। ऐहिक भनक तक किनको नहि लागलैन्ह आर अचानक दुई दिन पहिने नोटिस भेटल कि सामाजिक आर्थिक जनगणना आधारित लक्षित जन वितरण प्रणाली केर अतंर्गत पूर्वीकता राशन कार्ड अपनेक द्वारा जे प्राप्त कायल गेल अछि, ओहिक जांचोपरांत अपनेक संबंध मे सुखी-सपन्न-तिपहिया वाहन-चारपहिया वाहन-सरकारी सेवा होयबाक सूचना प्राप्त भेल अछि। जाहिक आलोक मे सभ आवश्यक साक्ष्य के संग अधोहस्ताक्षरी के कार्यालय मे उपस्थित भ' अप्पनपक्ष राखी अन्यथा अपनेक पूर्वीकता प्राप्त गृहस्थी कार्ड रद्द करबाक दिशा में अग्रेतर कार्रवाही कायल जायत। ग्रामीण सभ आरोप लगबैत कहलनि कि एक दिन मे आर ओहो बिना कुनु जांच केना राशन कार्ड के रद्द करबाक नोटिस निराधार अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।