एहि सँ आक्रोशित भ' विद्यालय म' पढाई बला छात्र - छात्रा सभक संगे संग हुनकर अविभावक सभ सेहो सड़क जाम केलन्हि। सभ कियो एक स्वर म' आरोप लगेलन्हि कि विद्यालय केँ प्रधानाध्यापक द्वारा पिछ्ला दुइ बरख सँ साइकिल एवं अन्य मद म' भेटै बला राशि नहि देल गेल।
प्रधानाध्यापक सँ जखन राशि केर मांग कायल जायत अछि तेँ अनाप सनाप कहे लागैत छैथ आर कहैत छैथ जते जेबाक अछि जे केँ हमर शिकायत करू। जाम स्थल पर छात्र छात्रा व अविभावक सभ द्वारा जिला शिक्षा अधिकारी, बीइओ, एचएम एवं विद्यालय केर शिक्षक सभक विरूद्ध नारा लगाओल गेल।
आक्रोशित सभक कहब छैन्ह कि जाधरि सभ मद म' भेटै बला राशि सभ केँ नहि भेटत विद्यालय म' तालाबन्दी जारी रहत। जाम केँ सूचना पर पहुंचल पुलिस आक्रोशित सभ क' समझा-बुझा शान्त करौलनि आर एहि संबंध म' आवश्यक आश्वासन देलन्हि। पुलिस केर आश्वासन पर तीन घंटा के बाद सड़क जाम समाप्त भेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।