कोलकाता। 07 दिसम्बर। एक दिस लोग नोटबंदी सँ परेशान छैथ तेँ दोसर दिस लगातार लाखों टक्का केँ नबका नोट जब्त कायल जे रहल अछि। एहि सिलसिला म' मंगल दिन एसटीएफ भाजपा के एक नेता क' छह कोयला माफिया संग पुरनका नोट बदलबाक कोशिश करैत गिरफ्तार केलन्हि।
पश्चिम बंगाल केँ वर्दवान जिला सँ एहि बरख भाजपा के टिकट पर विधानसभा चुनाव लड़ाई बला भाजपा नेता मनीष शर्मा क' बागुईहटी सँ ओहि समय गिरफ्तार कायल गेलन्हि जखन ओ पुरनका नोट बदलबाक कोशिश करैत छला। मनीष शर्मा केँ संग खनन व्यवसाय सँ जुडल छह लोग क' सेहो पुरनका नोट संग गिरफ्तार कायल गेलन्हि।
मनीष शर्मा केर गिरफ्तारी पर राज्य भाजपा अध्यक्ष दिलीप घोष कहलनि कि मनीष चुनाव केर दौरान कुछ मास भाजपा संग छला। चुनाव के बाद हुनका सँ रानीगंज के देखरेख केर ज़िम्मेदारी वापस ल' लेल गेल छल। गिरफ्तारी के बाद मनीष क' पार्टी मेम्बरशिप सँ सस्पेंड क' देल गेल छैन्ह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।