
नई दिल्ली। 01 दिसंबर। घर म' सोना रखबाक लेल मोदी सरकार एक बड़का फैसला लेलन्हि। वित्त मंत्रालय घोषणा करैत कहलनि कि विवाहित महिला 500 ग्राम, अविवाहित महिलाएं 250 ग्राम आर पुरुष 100 ग्राम तक सोना जांच केँ दायरा सँ बाहर राखल गेल अछि। आयकर विभाग केँ एहि फैसला केर मुताबिक, पुश्तैनी आर घर म' राखल सोना पर कुनु टैक्स नहि लागत। ऐहिक संगे - संग लोग क' आय केर हिसाब सँ सोना रखबा पर पाबंदी नहि होयत।
अपने क' बता दी कि देश केँ सर्राफा बाजार केँ कारोबारि सभ पिछ्ला दुइ सप्ताह म' सभ सँ बेसी सोना की कीनना छैथ। सर्राफा बाजार केँ कारोबारि सभ क' डर छैन्ह कि कहीं सरकार सोना केर आयात पर किछ प्रतिबंध नहि लगा दैथ। गौरतलब अछि कि दुनिया भरी म' भारत सोना केँ दोसर सभसँ पैघ खरीदार देश अछि। संगहि इयो मानल जे रहल अछि कि 1000 टन सोना भारत म' कालाधन केर रूप म' पड़ल अछि। 500 -1000 टक्का केँ नोट बंद भेलाक बाद बड़ा पैमाना पर लोग सभ अप्पन कालाधन सोना किंबा म' खपा देलन्हि। 500 -1000 टक्का केँ पुरनका नोट बंद होयबाक घोषणा के दिन देश भरी म' देर राति सोना कीनल गेल छल। गुजरात आर मुंबई समेत कैको इलाका केँ तस्वीर सेहो सामना आयल छल। आब देखबाक ई अछि कि माेदी सरकार केँ एहि फैसला केँ लोग पर की असर पड़ैत अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।