मधुबनी। 02 नवम्बर। मधुबनी जिलाक' इतिहास गौरवशाली रहल अछि। एहिठाम कs माइट में जन्म लेबा वाला अपन प्रतिभाक' डंका देश-विदेश में बजबैत एलाह। आई मिथिला पेंटिंग के डंका देश विदेश में गुंजी रहल अछि। एही के अक्षुण्ण राखैत एही के आगा बढ़ेबाक अछि। उक्त बात 44 वाँ जिला स्थापना दिवस के उद्घाटन के मौके पर उपविकास आयुक्त हाकीम प्रसाद कहला।
श्री प्रसाद कहला कि एक दिसंबर 1972 के मधुबनी अनुमंडल के जिला बनायल गेल छल। एही के बाद सs मधुबनी जिला कs उत्तरोत्तर विकास भ रहल अछि। अत के धरती काफी उपजाऊ अछि एहिठाम के किसान मेहनती छैथ। वाटसन उच्च विद्यालय के प्रांगण में अवस्थित स्टेज पर आयोजित कार्यक्रम में अपर समाहर्ता डीएन झा, वरीय उपसमाहर्ता सत्य प्रकाश, विनोद कुमार, वीणा चौधरी, जयशंकर प्रसाद सहित कतेको अन्य वरीय पदाधिकारी उपस्थित छलाह। स्टाॅल के उद्घाटन सs कार्यक्रमक' शुरुआत भेल। कृषि विभाग द्वारा स्थापित स्टाल के उदघाटन डीडीसी हाकीम प्रसाद फीता काटिके कएला। कृषि विभाग के स्टाल में पुष्प प्रदर्शनी, समेकित कृषि प्रणाली के बत्तख पालन एवं मुर्गी पालन के कोन तरह कैल जाए ताहि के झांकी देखैल गेल छल।
एही सभ विभागक स्टॉल लागल छल
बिहार कौशल विकास, जिला कंप्यूटर केंद्र सोसाइटी, जिला लोक शिकायत अधिकार अधिनियम,आरटीपीएस कोषांग, जिला ग्रामीण विकास अभिकरण, जिला ग्रामीण विकास अभिकरण, मनरेगा, स्वच्छता मिशन, लोक स्वास्थ्य प्रमंडल, जिला जल एवं स्वच्छता समिति, सखी, सेंट्रल बैंक ऑफ इंडिया, सामाजिक सुरक्षा कोषांग, जिला बाल संरक्षण इकाई, समेकित बाल विकास परियोजना, जिला कल्याण कार्यालय, शिक्षा विभाग, मध्याह्न भोजन, जिला अल्पसंख्यक कल्याण कार्यालय, बिहार शिक्षा परियोजना, नेहरू युवा केंद्र, उद्योग विभाग, रेड क्रास, जिला स्वास्थ्य समिति, जिला परिवहन कार्यालय, उत्पाद एवं मद्य निषेध,जिला आपदा प्रबंधन,पशु एवं मत्स्य संसाधन विभाग, गव्य विकास निगम के स्टॉल स्थापना दिवस पर लागल छल।
स्थापना दिवस पर जिला कS विभिन्न स्थान कs स्कूली बच्चा सभ मनमोहक संगीत नृत्य के प्रस्तुति कएला। शिवगंगा उच्च विद्यालय के छात्रा मिथिला के पावन धरती मैथिली गीत सs कार्यक्रम के शुरुआत भेल। पोल स्टार के छात्रा साक्षी सरस्वती बंदना, शिवगंगा बालिका उच्च विद्यालय के छात्रा सुनो गौर से दुनिया वालों पर डांस, डान बास्को स्कूल के छात्रा तान्या राय, खादिजा, फिरदौस, आश्मा कुमारी, अंकित कुमार नाचू अब मैं छम छम गीत, रिजनल सेकेंडरी के छात्र आशुतोष मिश्रा विद्यापति के गीत, जवाहर नवोदय विद्यालय के समूह नृत्य, नगर पालिका, मध्य विद्यालय के छात्र लोक नृत्य झिझिया, रिजनल सेकेंडरी के छात्रा हम छी मैथिल…., आईपीएस के निहाल सोराज छन छन बाजे गीत, पंकज नृत्य एवं श्रेया एकल नृत्य के प्रस्तुति कएला।
मेले में प्रदर्शनी के लेल लगायल गेल आधुनिक कृषि यंत्र, नृत्य प्रस्तुत करैत छात्रा मोबाइल ट्रांसफॉर्मर आकर्षणक' केंद्र रहल।
सात निश्चय का स्टॉल
मुख्यमंत्री के सात निश्चय अभियान के लेक स्थापना दिवस पर वाटसन स्कूल में जिला सूचना एवं जनसंपर्क कार्यालय के तरफ सs स्टॉल लगायल गेल छल। एही सात निश्चय के तहत होबा वाला कार्य में हर घर नल, शौचालय निर्माण घर का सम्मान, घर तक पक्की गली नालि, अवसर बढे आगे बढें, हर घर बिजली लगातार, आर्थिक हल युवा को बल, आरक्षित रोजगार महिलाओं का अधिकार सs संबंधित प्रचार कैल गेल। डीपीआरओ जयशंकर प्रसाद कहला कि मुख्यमंत्री कs सात निश्चय के अमल में लाबे के विचार के आगा बढ़ायल जा रहल अछि।
स्थापना दिवस पर जिला के प्रसिद्ध मिठाई के दुकान बंशी साह कs दुकान के स्टाल सेहो लगायल गेल छल. स्थापना दिवस के देख आएल लोक में एही दुकान के प्रति विशेष आकर्षण देखबाक भेटल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।