प्रधानमंत्री मोदी बतबैथ कि हुनका कुन चौराहा पर सजा देल जाय : लालू यादव

पटना। 27 दिसम्बर। नोटबंदी लेल आरजेडी अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव  एक बेर फेर सँ प्रधानमंत्री मोदी क' निशाना बनौलन्हि। कैल्ह सोमवार दिन लालू यादव पीएम मोदी सँ सीधा सवाल केलन्हि कि हुनका कुन चौराहा पर सजा देबाक चाही? दरअसल, नोटबंदी के बाद 13 नवम्बर क' गोवा के एक कार्यक्रम केर दौरान पीएम मोदी कहने छला कि 50 दिन मे स्थिति नहि सुधरे तेँ हुनका जे सजा देल जाय ओ ओहिके स्वीकार करता।  

पूर्व केंद्रीय मंत्री लालू प्रसाद शिवसेना के बयान केर समर्थन करैत कहला  कि शिवसेना उत्तर प्रदेश चुनाव लेल बिल्कुल सही बयान देलन्हि अछि। अपने के बता दी शिवसेना भाजपा क' नसीहत दैत कहलनि कि उत्तर प्रदेश चुनाव लेल बीजेपी मदमस्त हाथी नहि बने। उत्तर प्रदेश केर इतिहास रहल अछि कि जखन - जखन सत्ताधारी मस्ती मे आयल अछि, जनता तखन - तखन हुनका सिंहासन से उतैर फेकना अछि।

लालू यादव आगा कहलनि कि शिवसेना ठीक कही रहल अछि। उत्तर प्रदेश विधानसभा चुनाव मे एसपी फेर विजयी होयत आर बीजेपी प्रदेश मे कतहुँ देखार नहि देत। उल्लेखनीय अछि कि नोटबंदी केर विरोध मे आरजेडी राज्य के सभ जिला मुख्यालय मे 28 दिसंबर क' महाधरना देबाक घोषणा केलन्हि अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने