समारोह क' संबोधित करैत जिला एवं सत्र न्यायाधीश श्री रूद्र प्रकाश मिश्रा कहलनि कि संत लक्ष्मीनाथ गोसाई सिर्फ एक महान संत नहि, आपसी भाईचारा आर सामाजिक सौहार्द्र केर प्रतीक सेहो छलाह। हुनक जन्मस्थल सुपौल जिला केँ परसरमा गाम छलैन्ह जखन की बाबा केँ कर्मस्थल बनगाँव बनल। बाबाजी सँ बनगाँव केर माटी सुगंधित भेल। बाबा केर ख्याति पूरा भारतवर्ष म' छैन्ह। श्री मिश्रा बनगाँव केँ युवा सभ क' बाबाजी केर बताओल मार्ग पर चलबाक आर नशामुक्त समाज बनेबाक अपील केलन्हि।
समारोह क' संबोधित करैत परिवार न्यायालय प्रधान न्यायाधीश विनोद कुमार कहलनि कि बाबाजी अप्पन कर - कमल सँ बनगाँव केर धरती क' सुगंधित केलन्हि। आय बाबाजी केर आशीर्वाद सँ बनगाँव केँ युवा देश - विदेश म' कैको महत्वपूर्ण पद पर आसीन छैथ। समारोह म' उपस्थित समस्त गणमान्य लोकनि समारोह सभा क' संबोधित केलन्हि।
एहि सँ पूर्व समारोह केर शुरूआत वैदिक लोकनि द्वारा मंत्रोच्चार केँ संग कायल गेलन्हि। अतिथि लोकनिक स्वागत पाग एवं चादर भेंट करि कायल गेलन्हि। बाबाजी स्मृति पर्व समारोह केर सुअवसर पर लक्ष्मीनाथ पुस्तकालय सेवा संस्था द्वारा बाबाजी पर आयोजित निबंध प्रतियोगिता म' सफल छात्र - छात्रा सभ क' पुरस्कृत कायल गेल। बाद म' सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन के बाद समारोह केर समापन भेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।