फेसबुक पर शराब कS बोतल के साथ तस्वीर पोस्ट करब एक युवक के भारी पड़ी गेल

बिहारशरीफ। 05 दिसम्बर। फेसबुक पर शराब कS बोतल के साथ तस्वीर पोस्ट करब एक युवक के भारी पड़ी गेल। मामला बिहारशरीफ कS लहेरी थाना क्षेत्र क' अछि । नालंदा के पुलिस अधीक्षक कुमार आशीष कहला कि लहेरी के रह वाला विक्की के चाइर दोस्त के संग गिरफ्तार कैल गेला। विक्की लग सS शराबक' ओ बोतल सेहो भेटल जाहि के तस्वीर पोस्ट केने छल । पुलिस अधीक्षक कहला कि सभ के चिकित्सीय जांच कैल जा रहल अछि 

पुलिस के अनुसार, विक्की रैव दिन साँझ में अपन फेसबुक पेज पर एक तस्वीर साझा कएलक। विक्की शराबक'  बोतल के संग अपन तस्वीर पोस्ट कैल्क आर ओहि के निचा में लिखलक पार्टी ऑल नाइट। ओहि पोस्ट के ओ अपन कतेको मित्र के संग शेयर सेहो कएलक । पुलिस के आला अधिकारी के नजर एही पोस्ट पर पड़ गेलैन आर स्थानीय थाना के युवकक' खोज कs करवाई के निदेर्श देला।


बिहार में एही तरहक पहिल घटना अछि। जखन फेसबुक पर शराबक बोतल के संग तस्वीर पोस्ट करे सs गिरफ्तारि भेला। बिहार में पूर्ण शराबबंदी अछि। शराबबंदी के लक सख्त कानून सेहो अछि । शराब के कोनो भी तरीका सs बढ़ावा देब आर ओकर  प्रचार-प्रसार कर पर रोक लागल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ