पीपर गाछ केँ चबूतरा सँ निकलल नाग, मंदिर परिसर म' लागल भीड़

सहरसा। 29 नवम्बर। सदर थाना केँ सिमराहा बायपास लग कैल्ह सोमवार दिन हनुमान मंदिर म' एकाएक लोगक भीड़ एकत्रित भ' गेलन्हि।    दरअसल एहिठाम पीपर गाछ के निचा बनल चबूतरा पर एक नाग बैसल छल। जाहि क' देखबाक लेल लोग सभक भीड़ एकत्रित भेल छल। देखते - देखते लोगसभ नाग पर चढ़ावा चढ़ाबे लगलन्हि। 

जानकारी मुताबिक़ हनुमान मंदिर म' लोगक भीड़ नागक दर्शन लेल एकत्रित भेल छल। स्थानीय लोग सभ नाग क' भगवान शिव केर रूप बुझैत छल आर देखते देखते लोग सभ चढ़ावा चढ़बे लागलनि। खास करिकेँ महिला सभ म' एहि ल'के अंधविश्वास पसैर गेलन्हि आर महिला सभ नाग केर पूजा-अर्चना करे लागली। 

मौका पर संतनगर गंगजला निवासी रामनरेश साह कहला कि किछ दिन एहिठाम भगैत केँकार्यक्रम भेल छल। ओहि समय लोग सभ एहि क' अंधविश्वास बतौलनि लेकिन कैल्ह जखन एहिठाम नाग निकलल तेँ लोगक आस्था बढ़ी गेलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ