नीतीश कुमार केँ संबंध म' राबड़ी देवी केँ विवादित टिप्पणी, कहली सुशील मोदी नीतीश सँ अप्पन बहिनक बियाह करबैथ

पटना। 29 नवम्बर। बिहार केँ पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी केर जुबान ऐना पिछरल कि ओ सुशील मोदी पर अति विवादित टिप्पणी क' देलीह। राबड़ी देवी नीतीश कुमार केँ बीजेपीक करीब होयबा सँ जुड़ल पत्रकार सभ क' जबाब दैत छली। एक सवाल केँ जवाब म' ओ कहली कि सुशील मोदी नीतीश सँ अप्पन बहिनक बियाह करबैथ।

दरअसल नीतीश कुमार कैको बेर नोटबंदी फैसला केँ तारीफ क' चुकल छैथ। जाहीकेँ किछ लोग बीजेपी सँ हुनकर बढ़ैत करीबी केँ रूप म' देखि रहल छैथ। सुशील मोदी सेहो नीतीश कुमार पर टिप्पणी करैत हुनका महागठबंधन पर पुनर्विचार करबाक सलाह देलन्हि। एहि संबंध म' राबड़ी देवी एक सवाल केँ जवाब दैत आपत्तिजनक टिप्पणी केलीह। 

एम्हर, नीतीश कुमार कैल्ह सोमवार दिन अप्पन पार्टी केँ बैठक म' बीजेपी सँ करीबी के खबैर क' पहिने खारिज क' चुकल छैथ। नीतीश कुमार आरोप लगौलन्हि कि किछ लोग एहितरहक बात करि हुनकर राजनीतिक हत्या करे चाहैत छैथ। नीतीश कुमार सभ क' आश्वस्त केलन्हि कि बिहार म' महागठबंधन केर सरकार म' कुनु समस्या नहि अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने