आर्थिक सर्जिकल अटैक सँ बाजार प्रभावित

सहरसा। 09 नवम्बर। मंगलवार आधा राति सँ पांच सौ व एक हजार के नोटक चलन अमान्य भेलाक कारण संगहि बैंक व एटीएम बंद रहबाक कारण बजार पूरा तरहे प्रभावित भेल।

भोरे स' जता लोग एक-दोसर स' आपस म' 100 के नोटक हथपैंचा करैत देखल गेला ओतहि छोट तबका के कारोबारी सेहो ग्राहक सभ क' छोट नोट नहि देबाक कारण वापस करैत देखार देला।  होटल, पेट्रोल पम्प, दवा दुकान क' छोईड़ शहर केँ अधिकांश दोकान आय बंद रहल आर जे खुजल छल ओता सेहो कुनु ग्राहक देखार नहि दैत छल। सोना-चांदी केर दोकान पर किछ ग्राहक नजर आयल, लेकिन ग्राहक के पास 500 व 1000 के नोट  तेँ सोना के भाव 34 हजार टक्का प्रति 10 ग्राम आर चांदी 50 हजार टक्का किलो केर रेट होयबाक कारण कारोबार नहि भेल। लिहाजा आय सभ तरहक  कारोबारी बाजार म' चिंतित नजर अएलाह। कुल मिला केँ देशक प्रधानमंत्री मोदी सरकार के एहि आर्थिक सर्जिकल अटेक केर शिकार अमीर सँ बेसी गरीब भ' रहल छैथ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ