मधुबनी। 10 नवम्बर। झंझारपुर प्रखण्ड के रैयाम गांव निवासी विकाश कुमार मिश्र जे सीमा सुरक्षा बल म' तैनात छला कैल्ह दुपहर 12:40 बजे शहीद भ' गेला।
शहीद विकाश कुमार मिश्र क' मंगल दिन पाकिस्तान के तरफ सँ भेल सीज फायर उलंघन म' गोली लागल छल। कैल्ह बुधवार दिन इलाज के दौरान हुनक मृत्यु भ' गेलन्हि। विकाश श्रीनगर म' पोस्टेड छला। रैयाम गाम के स्व. शिवरुद्र मिश्र के पुत्र विकाश कुमार मिश्रक शहीद होयबाक समाद भेटते पूरा रैयाम गाम म' मातम पसरी गेल अछि। शहीद विकाश केर परिजन सभक कानि - कानि के बुरा हाल छैन्ह। विकाश चैर भाई में सभ सँ छोट छला, जिनकर बियाह सेहो नहि भेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।