छठ पूजा केँ दौरान काल बनल छठ घाट, 14 बच्चा समेत 20 लोगक डुबला सँ मौत

मुजफ्फरपुर। 07 नवम्बर। सगर बिहार म' छठ पूजा के दौरान एखन धरी  14 बच्चा समेत 20 लोगक डुबला सँ भेल मौतक खबर अछि। कैको जगह मौक़ा पर गोताखोर सभक रहलाक बावजूद डुबनिहार के नहि बचाओल जे सकल।

आय भोर मुजफ्फरपुर के मिठनपुरा व मनिसारी म' क्रमश: दुइ व पांच बच्चा केर डुबबाक खबर अछि। खगडि़या के चौथम स्थित भरपुरा घाट पर सेहो तीन बच्चा बागमती नदी केँ तेज घार म' बही गेला। घटना केर संबंध म' बताओल जे रहल अछि कि पहिने एक बच्चा नदी म' गिरला, जिनका बचेबाक कोशिश म' दुइ आर बच्चा नदी केँ कालक गाल म' समा गेला।  पूर्णिया म' सेहो एक बच्चा के डुबबाक खबर भेटल अछि।

एहि बीच पटना के बाढ़ म' मलाही गंगा घाट पर पांच बच्चा नदी म' लापता भ' गेला, जाहिमे तीन क' बचाओल गेल, शेष दुइ बच्चा लापता बताओल जे रहल अछि।

एमहर बेगूसराय के कुर्था स्थित मानिकपुर म' अर्घ्य देबाक दौरान एक युवक केर डुबला सँ मौत भ' गेलन्हि।  अरवल म' सेहो अर्घ्य के दौरान एक व्यक्ति केर डुबबाक खबर अछि। गया म' सेहो आय एक युवक केँ डूबला सँ मौत भ' गेलन्हि। 

1 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. हमर गाँव अस्थुआ(भरवाडा) मे छठि घाट बनेबाक क्ररम मे एकटा बच्चा के डूबला स मौत भ गेल।

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने