उदीयमान सूर्य क' अर्घ्य केँ संग लोक आस्था केर महापर्व छठ अनुष्ठान संपन्न भेल

सहरसा। 07 नवम्बर। लोक आस्था केर महापर्व छठ अनुष्ठान आय उदयीमान सूर्य क' अर्घ्य देलाक बाद संपन्न भेल। आय भिनसर 3 बजे सँ श्रद्धालु लोकनि पटनाक गंगा घाट समेत देशक विभिन्न घाट पर भगवान भास्कर क' अर्घ्य देबाक लेल पहुँचलनि। भगवान भास्कर क' अर्घ्य देबाक  बाद छठ व्रति सभ अप्पन 36 घंटा के निर्जला उपवास प्रसाद खेलाक बाद तोड़लनि।

अपने क' बता दी चार दिवसीय छठ महापर्व शुक्रवार दिन नहाय-खाय के संग शुरू भेल छल। ऐहिक बाद व्रति सभ शनिवार दिन खरना पूजा केलन्हि। कैल्ह रविवार क' अस्ताचलगामी सूर्य क' अर्घ्य देल गेल, जखन की आय  सोमवार क' व्रति लोकनि उदीयमान सूर्य क' अर्घ्य द' प्रणाम करैत एहि महापर्व केर समापन केलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ