मुजफ्फरपुर। 08 नवम्बर। केन्द्रीय मानव संसाधन राज्य मंत्री उपेन्द्र कुशवाहा कैल्ह सोम दिन कहला कि राज्य सरकार के उदासीनताक कारण सँ बिहार के कैको सेंट्रल स्कूल बंद भ' सकैत अछि। कुशवाहा राज्य सरकार पर आरोप लगबैत कहला कि राज्य सरकार सेंट्रल स्कूल सभ क' जमीन उपलब्ध नहि करा रहल अछि। सरकारक लापरवाही केर चलते लखीसराय, औरंगाबाद, वैशाली, मोतिहारी समेत 10 सेंट्रल स्कूल बंद भ' सकैत अछि।
केन्द्रीय मंत्री मीडिया सँ बातचीत केँ दौरान कहला कि कैको सेंट्रल स्कूल किराया केर मकान म' चली रहल अछि। लखीसराय म' 1988 मेँ स्कूल खुजल छल लेकिन आय धरी राज्य सरकार जमीन उपलब्ध नहीं करौलनि। केंद्र सरकार जल्दे एहि मुद्दा पर विचार करत. नवादा म' सेंट्रल स्कूल के सवाल पर ओ कहला कि सेंट्रल स्कूल खोलबाक लेल राज्य सरकार द्वारा प्रस्ताव नहि भेजल गेल अछि। नवा नियम केर मुताबिक़ जिलाधिकारी क' प्रस्ताव के संग जमीन उपलब्धता आर तत्काल स्कूल चलेबाक लेल भवन केर उपलब्धता सेहो करबे परैत अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।