किशनगंज। 14 अक्टूबर। महानंदा नदी एक बेर फेर सँ उफान पर अछि, जाहि सँ कलियागंज आर बुढ़नई पंचातय केर कैको गाम म' बाढ़िक पैन घुइस गेल अछि। जानकारी केँ मुताबिक़ पोठिया प्रखंड क्षेत्र केँ कालियागंज पंचायत म' महानंदा के बाढ़िक पैन गोग सभक घर - आँगन म' घुइस गेल अछि, जाहि सँ सभक परेशानी बैढ़ गेल छैन्ह। ओतहि बुढ़नई पंचायत केँ लालबाड़ी, शीशाबाड़ी आदि गाम म' बाढ़िक पैन घुइस गेल अछि। जिला प्रशासन अधिकारी बाढ़िक जायजा ल' रहल छैथ। दोसर दिस चेंगा नदी केर जल स्तर बढ़ला सँ उत्क्रमित मध्य विद्यालय सखुआडाली भवन केर एक कक्ष नदी केर गर्भ म' समा जेल अछि।
महानंदा नदी फेर सँ उफान पर, कैको घर म' घुसल बाढ़िक पैन
जितमोहन झा (जितू)
0
Tags
किशनगंज
जितमोहन झा (जितू)
हमर संक्षिप्त परिचय..
नाम: जितमोहन झा, घरक नाम "जितू"
जन्मतिथि ०२/०३/१९८५ भेल,
श्री बैद्यनाथ झा आ श्रीमति शांति देवी केँ सभ स छोट (द्वितीय) सुपूत्र।
स्व.रामेश्वर झा पितामह आ स्व.शोभाकांत झा मातृमह।
गाम-बनगाँव, सहरसा जिला। एखन मुम्बईमे एक लिमिटेड कंपनी में पद्स्थापित।रुचि : अध्ययन आ लेखन खास कs मैथिली ।
पसंद : हर मिथिलावासी के पसंद पान, माखन, और माछ हमरो पसंद अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।