बिहार क' भेटल अहमदाबाद केर सुरक्षाक जिम्मेवारी, ए के सिंह अहमदाबाद केर पुलिस कमिश्नर बनला

पटना। 14 अक्टूबर। बिहारक अधिकारि सभक डंका पूरा देश म' बाजी रहल अछि। आब गुजरात प्रदेश केर सभ सँ महत्वपूर्ण शहर अहमदाबाद केर सुरक्षाक सेहो बिहारी केर जिम्मा आयल अछि। गुजरात म' भारतीय पुलिस सेवा केर अधिकारि सभक बहुत रास तबादला भेल अछि। एहि ताबादलाक बाद ए के सिंह क' अहमदाबाद केँ पुलिस कमिश्नर बनाओल गेल अछि। ए के सिंह गया के रहिवासी छैथ।

आईपीएस ए के सिंह 1985 बैच के अधिकारी छैथ। गुजरात म' ओ पहिनो  कैको महत्वपूर्ण पद पर रही चुकल छैथ। आईपीएस ए के सिंह क' प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी सेहो बहुत भरोसामंद अधिकारी मानैत छैथ।

गुजरात म' आईपीएस अधिकारि सभक तबादला म' शिवानन्द झा क' एडीजीपी, इंटेलिजेंस ब्यूरो, गांधीनगर बनाओल गेल अछि। शिवानद झा सेहो बिहार सँ छैथ। बीच म' हुनक  चर्चा दिल्ली पुलिस के कमिश्नरक रूप म' सेहो होयत छलैन्ह, आब  इंटेलिजेंस ब्यूरो म' शिवानन्द झा गुजरात केर गांधीनगर सँ सरकार क' आतंकी आर अपराधी सभक गतिविधि केर  ख़ुफ़िया जानकारी देथिन।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ