पोखैर म' डुबला सँ 45 वर्षीय युवक केर मौत

सहरसा। 21 अक्टूबर। जिले के बिहरा थाना क्षेत्रक बरहशेर चंदेश्वरपुर टोला निवासी संजय कुमार झा (45 वर्ष) केर मौत पोखैर म' डुबला सँ भ' गेलन्हि। मृतक अप्पन घर केँ बगल म' पोखैर के कछार पर बैसल छलाह, एहि क्रम म' हुनकर पैर पिछैर गेलन्हि, जाहि कारण ओ पोखर के गहिर पैन म' चल गेला। ओना तेँ एहि घटना केँ घटैत कियो नै देखलन्हि।

घर नै पहुँचबा पर जखन खोजबीन कायल गेल तेँ एक युवक केँ नजर पोखरिक पैन म' हेलैत मृतक केर चप्पल पर पड़लन्हि। जाहि केँ बाद लाश केर खोजबीन केला पर लाश पैन म' डूबल भेटल। ग्रामीण सभक सहयोग सँ लाश क' बाहर निकालल गेलन्हि।

एहि क्रम म' थानाध्यक्ष मो. सरवर आलम घटनास्थल पर पहुंची लाश केँ पंचनामा तैयार करि पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल सहरसा भेज देलन्हि। घटना केँ सूचना पर जिप सदस्य प्रियंका आनंद , पूर्व जिला पार्षद प्रवीण आनंद , मुखिया लिली पांडे ,पूर्व मुखिया मनोरंजन पांडे आदि पहुँच   शोक संवेदना व्यक्त करैत पीडित परिवार केँ सहायता लेल आपदा कोष सँ पांच लाख टक्का मुआवजा देबाक मांग प्रशासन सँ केलन्हि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने