केंद्रीय मंत्री रविशंकर प्रसाद क' भेटल वाई श्रेणी केँ सुरक्षा

दिल्ली। 21 अक्टूबर। सरकार केंद्रीय मंत्री रविशंकर प्रसाद क' वाई श्रेणी केँ सुरक्षा प्रदान केलन्हि। केंद्रीय सुरक्षा एजेंसि केँ रिपोर्ट म' रविशंकर प्रसाद के सुरक्षा बढेबाक सिफारिश कायल गेल छल।

गृहमंत्रालय के सूत्रक मुताबिक बिहार सँ राज्यसभा सांसद रविशंकर प्रसाद क' हालही म'  ‘वाई’ सुरक्षा घेरा के अंतर्गत आनल गेल। आब सीआरपीएफ के कमांडो हुनकर सुरक्षा केर जिम्मेदारी संभालथिन।

वीआईपी सुरक्षा के लिए सर्वोच्च श्रेणी ‘जेड प्लस’ होयत अछि जाहिक बाद ‘जेड’ और श्रेणी आबैत अछि। ‘जेड प्लस’ म' सामान्य तौर पर 40 कमांडो तैनात होयत अछि ओतहि ‘जेड’ श्रेणी म' करीब 25 से 30 कमांडो होयत अछि। रविशंकर प्रसाद केँ सुरक्षा म' प्रोटोकॉल के तहत केंद्रीय रिजर्व पुलिस बल के 7-8 सशस्त्र सुरक्षाकर्मी तैनात होयत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने