छठ घाट केँ सफाई म' जुटल जिला प्रशासन

सहरसा। 27 अक्टूबर। जिला म' लोक आस्था केर महापर्व छठ पूजा केँ तैयारि लेल जिला प्रशासन द्वारा सभ घाटक निरीक्षण कायल गेल। गत वर्ष सरबा रेल ढाला लग पोखैर म' डुबला सँ पांच बेदरा केर मौत भ' गेल छल। एहितरहक घटना केर पुनरावृत्ति नहि होय, एहि लेल प्रशासन दिस सँ खतरनाक घाट सभ पर छठ पाबनि लोग सभ सँ नहि मनेबाक लेल अपील कायल जे रहल अछि। संगहि एहितरहक घाट केँ चिन्हित सेहो कायल जे रहल अछि।

छठ पूजा लेल घाट सभक सफाई करवा रहल सदर एसडीओ मो. जहांगीर आलम कहला कि छठ पूजा के लेल घाट सभक सफाई पहिने सँ शुरू क देल गेल अछि ताकि पूजा के दिन धरी सभ व्यवस्था दुरुस्त रहे। ओ लोग सभ सँ छठ पूजा के लेल मत्स्य विभाग केँ तालाब, न्यू कालोनी, मत्सयगंधा जलाशय केर उपयोग करबाक अपील केलन्हि।

सदर एसडीओ कहला कि छठ हिन्दु सभक बहुत पैघ पर्व थीक, भीड़ भाड़ क' देखैत कैको परिवार अप्पन आवास परिसर म' तालाब बना लेना छैथ आर ओहि मेँ छठ पूजा करबाक व्यवस्था क' रहल छैथ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ