बेऊर म' कैद आतंकि सभ केलन्हि हमला, कैको पुलिसकर्मी घायल

पटना। 14 अक्टूबर। उड़ी हमला केँ बाद भारत-पाकिस्तान के बीच पनपल तनाव आर आतंकी हमला केर संभावना क' देखैत सीमा केर सुरक्षा बढ़ा देल गेल अछि। पूरा देश म' हाई अलर्ट जारी कायल गेल अछि। एहि सभ सँ अलग जेल म' बंद दर्जनों आतंकि सभ सुरक्षा म' तैनात पुलिसकर्मि सभ  पर हमला करि हुनका सभ क' जख्मी क देलन्हि आर विरोध म' नारा लगा हंगामा ठाढ़ क' देलन्हि।

गांधी मैदान एवं गया बम ब्लास्ट सँ जुड़ल 15 आरोपी बेऊर जेल म' कैद छैथ। 

बरख 2013 म' सूबे के गया एवं गांधी मैदान म' भेल बम विस्फोट मामला म'  एनआईए स्पेशल केस नवंबर 1 / 2013  एवं 5  / 2013 दर्ज करैत   11 आतंकी क' गिरफ्तार केलन्हि। एहि कैको आन राज्य सँ छैथ। उमैर सिद्दीकी, अजहरूद्दीन कुरैशी, इंतयाज अंसारी, नौमान अंसारी, मो. जिउल्लाहद्दीन, अहमद हुसैन सहित  10 आतंकी राजधानी पटना केर  आदर्श केंद्रीय कारा बेऊर म' बंद छैथ। कैल्ह गुरुवार दिन भोर स्पेशल सेल म' बंद आतंकि सभ सुरक्षा म' तैनात दुइ पुलिसकर्मी क' बुरी तरह सँ पिटाई करि चोटिल केलन्हि।  हमला केर शिकार दुनु पुलिसकर्मी  पूर्व सेना के जवान छैथ। ऐहिक बाद हंगामा करैत आतंकि सभ  देश विरोधी नारा सेहो लगेलन्हि। पुलिसकर्मी केर चीकरैक आवाज सुनी सुरक्षा म' तैनात पुलिसकर्मि सभ वरीय जेल प्रशासन क' सूचना देलन्हि।

सूचना भेटते पहुँचल जेल प्रशासन केर वरीय पदाधिकारि सभ सख्ती सँ पेश आबैत मामला क' शांत केलन्हि।  सूत्र केर मानी तेँ भारतीय सेना द्वारा कायल गेल सर्जिकल स्ट्राइक के बाद आदर्श केंद्रीय कारा बेऊर म' बंद आतंकि सभ म' रोष अछि। सुरक्षा म' तैनात पुलिसकर्मी केर पिटाई एवं देश विरोधी नारा ल' कैदि सभ म' सेहो रोष व्याप्त अछि। एहि घटना केँ बाद जेल म' बंद आतंकि सभक सुरक्षा बढ़ा देल गेल अछि। जेल प्रशासन केर मानी तेँ पूर्ण रूप सँ शांति व्यवस्था कायम अछि। मामला केँ जांच कायल जे रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ