वैशाली। 10 अक्टूबर। वैशाली जिला केर महनार म' दशहरा केर दौरान लोग सभक शरीर सँ भूत-प्रेत भगेबाक खुला खेल होयत अछि, ओना तेँ ई खेल सगर देश म' होयत अछि। हर बरख एहि काज म' ओझा-तांत्रिक भारी मात्रा म' शराब केर इस्तेमाल करैत छलाह। ओझा-तांत्रिक केर अनुसार बिना शराब पीना भूत नै भागैत छैथ। अगर कुनू इंसान केर शरीर म' भूत-प्रेत आबे तेँ ओकरा भगेबाक लेल शराब पीलेनाय जरूरी अछि। एहि काजक लेल ओझा-तांत्रिक पीड़ितक परिवार सँ शराब मांगी खुद पिबैत छलाह संगहि भूत क' सेहो पियेवाक दावा करैत छलाह।
प्राप्त जानकारी केर अनुसार एहि बरख सेहो इ खेल जारी अछि, मगर आब शराब केर इस्तेमाल नै भ' रहल अछि। ओझा-तांत्रिक जे बिना शराब पियेना भूत नै भागे केर दावा करैत छलाह, आब बगैर शराब केर ओ भूत खेला रहल छैथ आर भूत क शरीर सँ भगा सेहो रहल छैथ।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।