गया। 20 सितंबर। जम्मू कश्मीर के उरी म' स्थित सेना केर कैंप पर आतंकि हमला म' शहीद भेल गया जिला केँ जवान सुनील कुमार विद्यार्थी केँ तीनो बेटी अदम्य साहस आर हिम्मत केर परिचय देलीह। शहीद सुनील कुमार विद्यार्थी केँ तीनो बेटी पिता केँ शहीद होयबाक खबर भेटलाक बादो स्कूलक परीक्षा म' हिस्सा लेलिह। पिता केँ शव घर नै पहुँचल मुदा तीन स्कूल पहुँच परीक्षा देलीह।
अपने क' बता दी उरी के आतंकी हमला म' सेना के सुनील कुमार विद्यार्थी शहीद भ' गेलाह। गया म' हुनकर पत्नी तीन बेटी आर एक बेटाक संग रहैत छली। सुनील कुमार विद्यार्थी के सभ सँ पैघ बेटी आरती 14 बरख, अंशू 12 बरख, अंशिका 7 बरख आर बेटा 2 बरख के छैन्ह। रविवार दिन भेल हमला म' पिता केर मौतक खबर सेहो तीनो बेटीक हौसला नै तोइर पेलन्हि।
शव पहुँचबा सँ पहिने कैल्ह सोमवार दिन सुनील कुमार विद्यार्थी के तीनों बेटी स्कूल पहुँच अप्पन परीक्षाएं देलीह। जखन हुनका सभ सँ पुछल गेलनि कि एहेन विपत्तिक घरी म' ओ सब परीक्षा देबाक हिम्मत कोना जुटेलिह तेँ हुनका सभक कहब छलैन कि हम्मर पापा हमरा सभ क' बेटा जोका राखलाह। गाम म' पढाई केर नीक व्यवस्था नै होयबाक कारण पापा हमरा सभ क' शहर म' पढ़बाक लेल राखने छलाह। पापा तेँ देशक लेल कुर्बान भ' गेलाह। पाप हमरो सभ केँ कहैत छलाह की हमहुँ सब अप्पन देशक लेल किछु करि। एहि लेल परीक्षा देबाक लेल अएलहुँ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।