शहाबुद्दीन केला सरेंडर, कहला - चुनाव म' नीतीश क' सबक सीखा देब

सीवान। 30 सितंबर। सुप्रीम कोर्ट सँ जमानत रद्द भेलाक बाद राजद नेता आर पूर्व सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीन आय शुक्रवार दिन सीवान सीजेएम कोर्ट म' आत्मसमर्पण केलाह। पूर्व बाहुबली सांसद मो.शहाबुद्दीन आय दुपहर 2.15 बजे दिन म' मोटरसाईकिल पर हेल्मेट पहिर आबि क' न्यायाधीश संदीप कुमार केर अदालत म' आत्मसमर्पण केलाह।

ओतहि उच्चतम न्यायालय केर फैसला आबैते चंदा बाबू भावुक भ' गेला आर मीडियाकर्मि सभक सामने फफकी पड़ला। सीवान म' पत्रकार सभ सँ बातचीत करैत चंदा बाबू प्रदेश सरकार आर सभ लोकनि क' धन्यवाद देलन्हि। नोर भरल आँखि सँ चंदा बाबू कहला कि काश इ फैसला उच्च न्यायालय सुनाने रहिते।

चंदा बाबू केर पत्नी कलावती देवी सेहो सर्वोच्च न्यायालय केँ एहि फैसलाक स्वागत करैत काने लगलीह। कलावती देवी कहली कि न्यायालय पर हुनका पूरा भरोसा छैन्ह आर न्याय भेटबाक सेहो पूरा उम्मीद छैन्ह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ