सहरसा : जन अधिकार पार्टी के कार्यकर्ता द्वारा मार्केण्डेय कार्टजू केँ पुतला जड़ाओल गेल

सहरसा। 29 सितंबर। जन अधिकार पार्टी के कार्यकर्ता सभ शहर के शंकर चौक पर कार्टजू केर पुतला दहन केलनि संगे हुनका खिलाफ खूब नाराबाजी केलनि। कार्टजू द्वारा बिहार पर आपत्तिजनक बयान देबा पर  सख्त प्रतिक्रिया व्यक्त करैत जन अधिकार पार्टी के कार्यकर्ता लोकनि कहलनि कि बिहार केर गौरवशाली इतिहास अछि। बिहार केर संदर्भ म' विवादास्पद बयान लोकतंत्र केँ खिलाफ अछि।

शंकर चौक पर पुतला दहन करैत कार्यकर्ता लोकनि बिहार केर गौरवशाली इतिहासक समर्थन म' नाराबाजी करैत कहलनि कि देशक आजादी लेल राष्ट्रपिता महात्मा गांधी एहो एहि बिहारक धरती सँ आंदोलन केर शुरूआत केना छलाह। मंडन मिश्र, गौतम बुद्ध, महावीर, डा राजेन्द्र प्रसाद, बाबू वीर कुंवर सिंह, दानवीर कर्ण, लक्ष्मीनाथ गोसाई, कारू खिरहर, लोरिक, रामधारी सिंह दिनकर, फणीश्वरनाथ रेणु आदि केँ धरती बिहारे अछि।

पुतला दहन कार्यक्रम म' मुख्य रूपसँ हरिहर प्रसाद गुप्ता, महबूब आलम जीबू, शैलेन्द्र शेखर, पंकज कुमार क्रांति, पप्पू, गुडडु यादव, अंचल आनंद, मो. तारिक, प्रहलाद कुमार संग बहुत रास कार्यकर्त्ता उपस्थित छलाह।


Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने