हमर जवान कs बलिदान बेकार नै जै : मिथिला स्टूडेंट यूनियन



दरभंगा : 20 सितम्बर : उरी में भेल आतंकी हमला सs  पूरा देश आक्रोशित अछि । हमला क' विरोध में आई मिथिला स्टूडेंट यूनियन क' सदस्य के द्वारा दरभंगा स्थित आयकर चौराहा पर  पाकिस्तानी प्रधानमंत्री नवाज शरीफ कs पुतला दहन कएल गेल संगैह यूनियन भारतीय प्रधानमंत्री सs अनुरोध कएलक कि हमर जवान कs बलिदान बेकार नै जै।  एही लेल पाकिस्तान सs कोनो भी प्रकार क' रिश्ता व समझौता नै होबाक चाही तथा भारत हर प्रकार सs जबाब दे सेहो अनुरोध कएला। एही स' पहिने सुन्दरपुर बस दुर्घटना में मृतात्मा के शांति लेल दू मिनटक मौन राखल गेल। मौका पर उपस्थित यूनियन क' वरिष्ठ कार्यकर्ता अमित सिंह कहला पाकिस्तान क़ एही कायरतापूर्ण हरकत सs पूरा देश आक्रोशित अछि देशक हर एक नागरिक क' मौन में क्रोधक ज्वार अछि आ इ तखन तक शांत नै होएत जा धरी भारत के तरफ सs जवावी कार्रवाई नै होएत। मौके पर दरभंगा प्रभारी विद्याभूषण, अध्यक्ष बिमल मैथिल, निकिता गुप्ता, अजित वत्स, बीजे बिकाश ,अमित ठाकुर एवं सहित कई कार्यकर्ता मौजूद छलाह।  


एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ