
मिथिलाक सर्वप्रिय आर सभ सँ लोकप्रिय ब्लॉग 'मैथिल आर मिथिला' जे की आब 'मिथिला दैनिक' बैन गेल अछि कैल्ह अप्पन मोबाइल ऐप्स लॉन्च केलक। जकरा बहुत आसानी सँ गूगल प्ले स्टोर सँ डाउनलोड कायल जे सकैत अछि। डाउनलोड करबाक लेल एहि ठाम क्लिक करि।
ई जालवृत्त 2008 सँ निरंतर मैथिली भाषा क' बढ़ावा देबाक लेल प्रयत्नशील अछि। संगहि 2008 सँ निरंतर मैथिली लेखक लोकनि के अप्पन रचना प्रकाशित करबाक प्लेटफॉर्म प्रदान करैत आबि रहल अछि। अपने सभ एहि जालवृत्त क' सभ सँ लोकप्रिय बनेलहुँ एहि लेल कोटि - कोटि धन्यवाद।
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) एक बेर फेर सँ सभ लेखक, पत्रकार क' अप्पन रचना, खबर एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल आमंत्रित करैत अछि। अपने यदि एहि जालवृत्त पर अप्पन रचना, खबर प्रकाशित करे चाहैत छी तेँ टीम - मिथिला दैनिक केँ ईमेल : mithiladainik@gmail.com मोबाइल : 07666817725, 09546639240 पर सम्पर्क करि। अपने अप्पन रचना, खबर ईमेल द्वारा सेहो पठा सकैत छी।
एहि जालवृत्त के निरंतर किछ नव करबाक प्रयास रहल अछि। एहि चरण म' आय अपने सभक लेल मोबाइल ऐप्स तैयार अछि। जाहि सँ अपने गाम - घरक संगे संग देश - विदेश के ताज़ा खबर आसानी सँ मोबाइल पर पढ़ी सकैत छी।
टीम - मिथिला दैनिक श्री जितमोहन झा (जितू) आर श्री दुर्गानाथ झा के आभारी अछि जे ओ अप्पन अथक प्रयास सँ एहि ऐप्स केँ निर्माण केलनि। संगहि टीम - मिथिला दैनिक श्री गणेश झा जी केँ कोटि - कोटि धन्यवाद दैत अछि जे ओ एहि ऐप्स क' प्ले स्टोर पर अपडेट करबाक लेल प्ले स्टोर के भारी - भरकम पंजीकरण शुल्क अदा करि एहि ऐप्स क' अपने सब तक पहुंचेबा म' टीम के मदद केलनि।
एहि सहयोग केँ लेल टीम - मिथिला दैनिक श्री गणेश झा जी लक प्रस्ताव राखलनि की ओ अप्पन व्यवसाय के विज्ञापन मुफ्त मेँ एहि जालवृत्त पर प्रकाशित क' सकैत छैथ।
मिथिला दैनिक क' लोकप्रिय बनेबाक लेल सभ पाठक लोकनिक कोटि - कोटि धन्यवाद।
टीम - मिथिला दैनिक
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।