उड़ी हमला म' गंभीर रुपे घायल भोजपुर निवासी इंडियन आर्मी केँ जवान राजकिशोर सिंह भेला शहीद

पटना। 30 सितंबर। उरी केर सेना मुख्यालय पर 12 दिन पहिने भेल आतंकी हमला म' गंभीर रूप सँ घायल एक आर जवान आय शहीद भ' गेला। उरी हमला म' शहीद होय बला बिहार रेजिमेंट केँ छठम बटालियन के नायक राजकिशोर सिंह आय दिल्ली मिलिट्री अस्पताल म' अंतिम सांस लेलाह। एहि के संग हमला म' शहीद भेल जवानक संख्या बढ़ीकेँ 19 पहुँच गेल।

हमला म' घायल जवान नायक राज किशोर सिंह के आर्मी रिसर्च एंड रेफरल अस्पताल म' इलाज चलैत छल। हुनका टांग आरो सीना म' गोली लागल छलैन्ह। रक्षा सूत्र घायल जवानक निधन केर जानकारी देलन्हि। राजकिशोर सिंह भोजपुर जिला केँ आरा तहसीलक पिपराती गाम केर रहिवासी छलाह। अपने क' बता दी कि पाकिस्तान के हथियारबंद आतंकि सभ18 सितंबर क' सेना के उरी शिविर मे' हमला केना छल, जाहि म' 18 जवान शहीद भेल छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ