जी-२० में भारत के पहिल कतार में भेटल जगह ,चीन इ श्रेय मोदी के देलैन्ह।

07 सितंबर 2016:- कहल जाइत छै एक तस्वीर हजार शब्द के बराबर होइत छै। लेकिन जी २० सम्मलेन के ग्रुप फोटो के हजारो अर्थ निकालल जा सकैत अइछ की ताकत आ प्रभाव के मामला में कोन नेता कतय ठाढ़ छैथ। कम से कम चीन एही बारे में की सोची रहल छैथ?
११वां जी २० स्मेल्लन हिस्सा लेबै लेल हांगझोऊन पहुँचल दुनियाक ३६ नेता ओहि तस्वीर में देखा रहल छैथ एही में स २१ नेता कोनो ने कोनो देश आ सरकार के नेतृत्व करैत छैथ।सात नेता अंतर्राष्ट्रीय संस्थान के प्रतिनिधि छैथ जखन की ८ नेता मेहमान देश स छैथ।

बीजिंग स्थित प्रतिष्टित रेनमीन यूनिवर्सिटीक अंतर्राष्ट्रीय बिशेसज्ञक विश्लेषण के मुताबिक ग्रुप फोटो में प्रधानमंत्री मोदी के पहिल कतार में जगह मिलनाइ,चीनक नजैर में हुनक ताकत आ प्रभाव के दर्शबैत अइछ।एही स साबित होइत अइछ जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी चीन के लेल महत्वपूर्ण छैथ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ