स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना क' राज्य स्तरीय बैंकर्स समिति (एसएलबीसी) केँ मंजूरी

पटना।  01 सितम्बर। नीतीश कुमार केँ सात निश्चय म' शामिल स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना क' राज्य स्तरीय बैंकर्स समिति (एसएलबीसी) कैल्ह बुध दिन मंजूरी द' देलन्हि। एसएलबीसी केँ 57वां  बैसार मेँ एहि योजना क' सर्वसम्मति सँ पारित कायल गेल। प्रदेश सरकार एहि योजना क' हरहाल मेँ 02 अक्टूबर सँ लागू करत। एहिपर जल्दे राज्य कैबिनेट केर  मोहर लगाओल जायत।

स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना केँ तहत 12वीं पास उच्च शिक्षा ग्रहण करै बला  छात्र/छात्रा सभ केँ चारि लाख तक लोन भेटत। संगहि ​छात्र सभक लोन आर व्याज राशि केँ गारंटी बिहार सरकार बैंक केँ देत। लोन पर करीब 10 फीसदी ब्याज लगाओल जायत। पहिल बरख पांच लाख विद्यार्थि सभकेँ  लोन देबाक लक्ष्य अछि। हर बरख एक लाख लक्ष्य बढाओल जायत।

स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना के तहत डिफॉल्टर भेला पर लोन केँ 75 फीसदी केंद्र सरकार आर 25 फीसदी बिहार सरकार क' गारंटी देबाक प्रावधान कायल गेल अछि। मुदा लोन केँ गारंटी देबै सँ केंद्र सरकार सहमत नै भेल। एहि केँ बाद बिहार सरकार लोन केँ 100 फीसदी राशि आर ब्याज केँ गारंटी बैंकों क' देबाक फैसला केलनि।

मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह कहला कि एहि योजना केँ तहत विद्यार्थि सभकेँ लोन देबाक मामला मेँ बैंक सभक बहानाबाजी नै चलत। उच्च शिक्षा ग्रहण करबाक लेल विद्यार्थी सभकेँ हर हाल म' लोन भेटत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने