बागमती परियोजना म' आठ करोड़ टक्का केँ गबन होयबाक खुलासा भेल

मुजफ्फरपुर। 21 सितंबर। बिहार केँ बागमती परियोजना म' आठ करोड़ टक्का केँ गबन होयबाक खुलासा भेल अछि। परियोजनाक तटबंध के लेल भेल भू-अर्जन म' अधिकारि सभक मिलीभगत सँ आठ करोड़ केर फर्जी भुगतान करबाक खुलासा भेल अछि। डीएम आर  सीएम के जनता दरबार म' मामला उठलाक बाद  अप्पन गर्दैन बचेबाक लेल परियोजना के भू-अर्जन पदाधिकारी 21 अधिकारी आर 44 किसान समेत कुल 65 केँ खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। किसान सभक आरोप छैन्ह  कि एहि घपला म' पूरा विभाग संलिप्त अछि।

अपने क' बता दी कि उत्तर बिहार क' बाढ़िक विभीषिका सँ बचेबाक लेल बनल बागमती परियोजना म' आठ करोड़ टक्का के गबन भेल अछि। परियोजनाक तहत मुजफ्फरपुर के औराई आर कटरा प्रखंड के 39 गाम म' 16 एकड़ जमीन केर अधिग्रहण तटबंध निर्माण लेल कायल गेल अछि, जाहि म' दुनु प्रखंडक सैंकड़ो परिवार विस्थापित भेलथि। भू-अर्जन केर काज गंडक परियोजना के तहत भेल अछि। जाहि म' किसान सँ अर्जित जमीन के मुआवजा भूगतान म' भाड़ी गड़बरी कायल गेल अछि। विभाग के इंजीनियर, कर्मचारी आर अमीन केर मिलीभगत सँ आठ करोड़ टक्का  राशि केर भुगतान असली भू-धारी के बदला गलत लोग क' देल गेलनि।

किछ एहनो किसान छैथ जिनकर संबंधी सभ फर्जी कागजात पेश करि राशि उठा लेलन्हि। एता धरी की एकहि मकानाक लेल पिता आर पुत्र दुनु  मुआवजा उठौलनि अछि। एहि सभक बिच एखनहुँ बेघर भेल सैंकड़ो असली भूधारी मुआवजा लेल दफ्तर केर चक्कर काटी रहल छैथ। एहि मामला क' मनोज कुमार डीएम के जनता दरबार म' उठेलनि आर मो. एकराम आरटीआई सँ सूचना एकत्रित करि केँ सीएम के दरबार म' उठेलनि। उपर के आदेश पर जखन  उच्चाधिकारि सभक समिति द्वारा जांच कायल गेल तेँ ई घपला उजागर भेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ