पंद्रह अगस्त

पंद्रह अगस्त
~~~~~~~~~~~~
स्वाधीनता दिवसक खुशी मे बाजि रहल बाजा
जन गन मन गाबि रहल सब रंक और राजा
गिरिजाघर गुरूद्वारा मस्जिद मंदिर
तिरंगा लहरा रहल लाल किला प्राचीर
हिंदू आ मुश्लिम आइ  भाइ भाइ
सब ठाम बँटाय रहल जिलेबी मिठाइ
राग और द्वेष नहि छै ककरो मन मे
गर्म खून दौरि रहल देहक कण कण मे
अन्हरौखे सँ निकलि रहल ई प्रभात फेरी
स्कूल और कॉलेज सब बेरा बेरी
गूँजि रहल अमर रहै  बापू सुभाष
चंद्रशेखर भगत सिंह शहीद बहुत रास
सूनल जे सस्त होयत नून तेल राशन
प्रधानमंत्री फेर आइ देता ग' भाषण
सत्तरि वर्ष पूरि रहल भेला स्वाधीन
तैयो नहि फिरल मणि गरीब केर दिन ।
       मणिकांत झा, दरभंगा
                   १३-८-१६ ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ