
दरभंगा २१ अगस्त २०१६:-डीएमसीएच में शनि दिन हृदयगति के अनियमितता बिषय पर गोष्टि के आयोजन कएल गेल। उद्घाटन करैत डीएमसीएच के प्राचार्य डॉक्टर आर के सिन्हा अन्य डॉक्टर आ पीजी के विद्यार्थी स एही गोष्टि के लाभ उठबै के लेल अपील केलैन्ह। डॉक्टर सिन्हा कहलैन्ह जे एही तरहक गोष्टि स रोगिक इलाज मे नया तकनिकी के जानकारी भेटैत छै। विद्यार्थी के पठन पाठन में सेहो सहयोग भेटैत छै बिचार के आदान प्रदान केला स किछ नव सिखय लेल भेटैत छै आ नव नुस्खा के जानकारी भेटैत छै इ कार्यक्रम लेक्चर थियेटर में आयोजित भेल।
ओहि आयोजन में ह्रदय रोग सम्बंधित बहुत जानकारी देलैन्ह।
संतुलित आहार ली:- पीएसएम विभाग के एचओडी डॉक्टर चितरंजन राय बतेलैन्ह जे एही स बचै के लेल संतुलित आहार ली,नियमित ब्यायम करि।
शारीरिक मेहनत करै बला लोक स हृदय रोग कोशो दूर भागैत छै। भौतिक युग में आराम हाराम छै आ अत्यधिक आराम के कारन लोक एही रोग से पीड़ित भ रहल छैथ। संगहि एही आयोजन में भाग लेनिहार अन्य डॉक्टर कहलैन्ह जे फैटी भोजन से दूर रही,धूम्रपान,अल्कोहल इहो सब से दूर रही मोटापा एही बीमारी के सब से पैघ दुश्मन छैक।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।