सहरसा। 25 अगस्त। सौरबाजार प्रखंड केँ चंदौर पश्चिमी पंचायतक खोकसाहा भगवानपुर गामक तीन अनाथ बेदरा केँ परवरिश करबाक जिम्मेवारी सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव लेलनि। अनाथ तीनों बेदरा क' नकद पांच हजार प्रदान करैत बचिया केँ लेल 20 हजार जमा करबाक लेल देलनि। संगहि हर मास पांच हजार टक्का देबाक घोषणा केलनि।
अपने केँ बता दी कि उक्त गांव के विलास भगत व हुनक पत्नी गुड़िया देवी केँ मौत बीमारी सँ भ' गेल छलैन। तीन अनाथ अभिषेक, कुणाल व अस्मिता कुमारी केँ देखभाल करबाक लेल परिवार मेँ कियो नै छल। ऐहिक जानकारी सांसद केँ जहिना भेटल ओ तीनों बेदरा क' बजौलनि आ 25 हजार नकद व पांच हजार टक्का प्रति मास देबाक घोषणा केलनि। सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहल कि हुनका नजरि मेँ एहि तरहक जे भी मामला आयत सब लेल ओ हर संभव प्रयास करता।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।