सहरसा वापसी पर स्वतंत्रता सेनानी गजाधर जायसवाल केँ भव्य स्वागत

सहरसा। 13 अगस्त। भारत छोड़ो आंदोलन मेँ अग्रणी भूमिका निभेनिहार   स्वतंत्रता सेनानी गजाधर जायसवाल केँ राष्ट्रपति सँ सम्मानित भेलाक बाद सहरसा वापसी पर स्टेशन पर भव्य स्वागत भेलन्हि। हुनक आगमन सँ पहिने सहरसा स्टेशन पर स्वागत करबाक लेल लोगक भीड़ जमा भ' गेल छल। ओ जहिना ट्रेन सँ बाहर निकलला लोग सभ भारत माता की जय, गजाधर जायसवाल जिन्दाबाद नारा लगबैत हुनका फूल - माला सँ लाइद देलन्हि।

एहि मौका पर कांग्रेस जिलाध्यक्ष विद्यानंद मिश्र, रामसागर पांडेय, मो. नईमउद्दीन, जायसवाल युवा महासभा के राष्ट्रीय उपाध्यक्ष कुमार अमरज्योति, भाजपा जिलाध्यक्ष मदन प्रसाद चौधरी, राजद नेता शिवशंकर विक्रांत, रणवीर आर्य, गोपाल चौधरी, तारणी चौधरी, धीरेन्द्र जायसवाल, जिला पार्षद धीरेन्द्र यादव, नरेश जायसवाल, मो. साबिर, डा. मोईनउद्दीन, मनोज जायसवाल, सुशील जायसवाल, ओमप्रकाश जायसवाल आर बहुत लोग उपस्थित छलाह।

अपने केँ बता दी, स्वतंत्रता सेनानी गजाधर जायसवाल क' भारत छोड़ो आंदोलन केँ वर्षगांठक मौका पर मंगलवार दिन दिल्ली म' राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी द्वारा सम्मानित कायल गेलन्हि। आजादी केँ आंदोलन म' श्री जायसवाल केँ बहुत पैघ भूमिका छलैन्ह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ