
सबसँ नीक श्रद्धांजलि होयत । समारोह के संबोधित करैत भाजपा के प्रदेश प्रवक्ता सह विधान पार्षद विनोद नारायण झा कहलनि जे चतुरा बाबू गरीबक मसीहा छलाह । ओ कहलनि जे चतुरा बाबू दलगत भावना सँ उठि कय विकासक कार्य करैत छलाह ।
अपना उद्बोधन मे विधायक समीर महासेठ कहलनि जे चतुरा नंद मिश्र ट्रेड यूनियन के नेताक रूप मे अपन पहचान बना देश के सेवा कयलनि । अपना उद्बोधन मे विधायक लक्ष्मेश्वर राय चतुरानंद मिश्र द्वारा समाज मे कयल गेल काज सबहक विस्तार सँ चर्चा कयलनि । कार्यक्रम के विधान पार्षद सुमन महासेठ , पूर्व विधायक सत्यनारायण सिंह तथा राम नरेश पांडेय,
डा चंद्रमोहन झा , रामशृंगार पाण्डेय , डा इन्द्रमोहन झा , शुभनाथ ठाकुर, जटाधर झा , नूनू ठाकुर सहित अनेक वक्ता संबोधित कयलनि । कार्यक्रमक संचालन संयोजक संतोष कुमार मिश्र चुन्नू कय रहल छलाह ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।